बिहार मे खुलत कृषक पाठशाला

सरिता सुमन
पटना । बिहार क किसान कए कृषि, मत्स्य पालन, पशुपालन आ बागवानी क नव स नव जानकारी देबा लेल सब प्रखंड मे दू-दू टा कृषक पाठशाला खोलल जाएत। एकर जानकारी बिहार क कृषि मंत्री रेणु देवी देलथि। राष्ट्रीय कृषि आयोग क सिफारिश पर राज्य सरकार कृषक पाठशाला खोलबाक फैसला लेलक अछि। मंत्री कहलथि जे सब प्रखंड मे कृषि पाठशाला खोलल जाएत। एक प्रखंड क पहिल गाम क पाठशाला मे गेहूं क फसल पर आधारित जानकारी देल जाइत आ दोसर गाम क पाठशाला मे पशुपालक आ मत्स्य पालन कए जानकारी देल जाइत। एहि पाठशाला मे स्थानीय कृषि विज्ञान केंद्र क वैज्ञानिक आ कृषि विभाग क अधिकारी प्रशिक्षण देताह। एहि पाठशाला मे कुल 5,39,000 किसान कए प्रशिक्षण देबाक योजना अछि। प्रत्येक पाठशाला मे 25टा किसान कए प्रशिक्षण देल जाइत। इ पाठशाला खोलबाक प्रक्रिया नवंबर मे शुरू भ जाइत। मंत्री सेहो कहलथि जे एकटा पाठशाला क चलेबा लेल 5,00,000 टका खर्च होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments