बिहार मे ‘कास’ क पहिल चैप्टर खुलल

दरभंगा। मिथिला मे नुकायल प्रतिभा कए तराशबा लेल ”कास” बिहार मे अपन पहिल चैप्‍टर दरभंगा मे खोललक अछि। बैंकिंग सहित संघ लोक सेवा आयोग आ स्टाफ सेलेक्सन कमीशन सन प्रतियोगिता मे सफलता दियेबाक उद्देश्य स देश क प्रतिष्ठित कोचिंग संस्था ‘कास’ क बिहार मे चैप्‍टर खुलला स बिहार क छात्र क कोचिंग लेल बाहर पलायन कम होएत। ज्ञात हुए जे कोचिंग मद मे एकटा भारी रकम बिहार स बाहर जा रहल अछि। दरभंगा मे एहि चैप्‍टर क उद्घाटन करैत चार्टर्ड एकाउंटेंट राजीव रंजन कहला जे बैंक सहित सरकारी आ गैर सरकारी क्षेत्र मे रोजगार क बेसी संभावना अछि। मिथिला विशेष रूप स दरभंगा क छात्र सफलता क तकनीक आ परीक्षा तैयारी क गुर बुझबा लेल दिल्‍ली जाइत छलाह। मुदा आब बिहार मे कास अपन चैप्टर शुरू क देलक अछि। संस्थान क निदेशक निखिल झा कहला जे दरभंगा चैप्‍टर कोनो कान चैप्‍टर स कमजोर नहि होएत। एहि ठाम अनुभवी फेकल्टी आ सरल पाठय सामग्री उपलब्‍ध कराउल जा रहल अछि। आन चैप्‍टर स सेहो समय समय पर उचित मार्गदर्शन भेटत। सैद्धांतिक क संग संग यदि व्यवहारिक कक्षा सेहो संचालित होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. bahut hi achha DARBHANGA me coaching center khulne se ab mithilanchal ke student ko bahar jane ki koi jarurat nahi hogi…

Comments are closed.