बिहार मे इंदिरा आवास क होएत बीमा

पटना । बिहार मे इंदिरा आवास क मुखिया क एक लाख टकाक बीमा कराउल जाएत। संगहि इंदिरा आवास कए सेहो 15 साल लेल बीमित राखल जाएत। ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र इ उम्मीद जतेलाह अछि जे एहि स निर्माण कार्य मे तेजी आउत। मिश्र विधानसभा मे सवालक उत्तर द रहल छलाह। ओ मानलाह जे मनरेगा (महात्मा गांधी ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना) क एक लाख 285 योजना लंबित अछि। एकरा पूरा करबाक भरपूर प्रयास कैल जा रहल अछि। मनरेगा कर्मी क रिक्त पद कए भरबा लेल ओकर मानदेय बढ़ेबा पर गप भ रहल अछि। एहि मद मे 75 प्रतिशत राशि खर्च कैल गेल अछि। इंदिरा आवास मे 61 फीसदी राशि खर्च भ सकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.