बिहार मे आब 24 घंटा मौसम क जानकारी

समस्तीपुर। बिहार मे कृषि अनुसंधान कार्य मे गुणवत्ता बढ़ेबा लेल आ मौसम क जानकारी प्राप्त करबा लेल भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) क सहयोग स समस्तीपुर जिला क पूसा स्थित राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय परिसर मे सेटेलाइट लिंक मौसम स्टेशन शुरू कैल गेल अछि। विश्वविद्यालय क मौसम वैज्ञानिक डॉ ए सत्तार कहला जे एहि प्रणाली क शुरू भेला स आब 24 घंटा मौसम स संबंधित जानकारी भेट सकत। एकर अलावा एहि स हवा क गति आ दवाब, वर्षा, सूर्य क किरण आ तापमान समेत कईटा महत्वपूर्ण क्षेत्र मे जानकारी भेट सकत। ओ कहला जे राज्य मे कृषि अनुसंधान कार्य मे गुणवत्ता बढ़ेबाक संग-संग पौधा क वृद्धि आ एकर उपयोगिता बढ़त।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments