बिहार मे आब सवा करोड़ बीपीएल परिवार

पटना। लालू प्रसाद जखन मुख्यमंत्री बनलाह त गरीब रैली केलाह आओर ओकर सफलताकबाद गरीब रैला, एहि प्रकार स लालू सबूत देलाह जे हुनकर राज मे गरीबक संख्या बढ़ल अछि, मुदा इ नीतीश राज छी, ताहि लेल एक झटका मे बिहार मे बीपीएल परिवार क संख्या मे करीब 15 लाख क इजाफा भ गेल। आजुक तारीख मे ओना एक करोड़ 25 लाख 55 हजार 110 परिवार अछि। पहिने इ संख्या एक करोड़ 11 लाख छल। ग्रामीण विकास मंत्री श्रीभगवान सिंह कुशवाहा कहला जे 15-20 दिन मे डीएम आ डीडीसी कए सूची (सर्वेक्षण) उपलब्ध करा देल जाएत। फेर एहि पर आयल आपत्ति क निराकरण होएत। दरअसल एहि आधार पर आगू केंद्र स मदद मांगल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहैत रहलाह अछि जे जेतबा गरीब बिहार मे अछि ओकर अनुपात मे कम अनाज केंद्र द रहल अछि। मंत्री कहला जे 2007 क सूची कए आधार बना कए नव सर्वेक्षण भेल अछि। कुल 60.63 लाख आवेदन आयल छल। एहि मे दर्ज आपत्ति क निराकरण कैल गेल अछि। कोशिश कैल गेल अछि जे नव सर्वेक्षण मे त्रुटि कम स कम हुए। जे गलती सामने आउत ओकरा ठीक कैल जाएत, इ सतत प्रक्रिया अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments