बिहार मे आब कियो नहि जाएत जेल

अंग्रेज जमाना क जेलर सेहो भेल आब इतिहास
पटना ।
बिहार सरकार अंग्रेज क जमाना क करीब नौ दशक पुरान जेल कानून बदल देलक अछि। जेल महकमा क नाम सेहो बदलि गेल आ स्‍वरूप सेहो। आब कियो जेल नहि जाएत, जेल जायब आब इतिहास क गप भ गेल। बिहार क जेल आब सुधार गृह कहल जाएत। नवका जेल मैनुअल कए कैबिनेट मंजूर क लेलक अछि। नवका मैनुअल केंद्रीय गृह सचिव आरके सिंह कए सेहो नीक लागल अछि आ ओ दोसर राज्‍य सब कए सेहो एकरा ग्रहण करबा लेल कहता।
नवका जेल मैनुअल क अनुसार अंग्रेज क जमाना क जेलर शब्‍द आब खत्‍म भ जाएत ओकर स्‍थान पर आब डिप्टी सुपरिंटेंडेंट आ सहायक जेलर क बदले असिस्टेंट सुपरिंटेंडेंट पद नाम भ गेल अछि। गृह विभाग क अधीन काज करनिहार कारा निरीक्षणालय क नाम आब ‘कारा आ सुधार सेवा निरीक्षणालय’ क देल गेल अछि।
कारा महानिरीक्षक आनंद किशोर क अनुसार जेल मैनुअल कए विधि आ वित्त विभाग क स्वीकृति भेट गेल अछि। हाल मे केंद्रीय गृह सचिव जखन बिहार आयल छलाह त हुनकर समक्ष एकरा राखल गेल छल त ओ एहि स काफी प्रभावित भेल छलाह। ओ कहने छलाह जे इ लागू हेबाक चाही आ एकर एकटा प्रति हुनको पठाउल जाए ताकि ओ आन राज्‍य सब कए सेहो एहन व्‍यवस्‍था लागू करबाक लेल प्रस्ताव द सकताह।

आखिर की अछि नवका व्‍यवस्‍था
* बक्सर खुलल जेल मे बंदी लेल एक कोठली क फ्लैट
* मेडिकल टेस्ट होएत, सेहत संबंधी पूरा इतिहास दर्ज होएत
* सुरक्षा क ग्रेड क अनुसार अलग-अलग कक्ष मे राखल जाएत।
* नवका युवा कैदी लेल अलग अरुण अपराधी वार्ड होएत।
* रिसेप्शन वार्ड क प्रावधान
* सब कैदी क ब्योरा यानी नाम, पता, फिंगर प्रिंट, फोटो क संग 11 अंकक यूनिक नंबर आ पूरा केस हिस्ट्री सेहो रहत
* भेंटकर्ता क फोटो, फिंगर प्रिंट क संग ओकर ब्योरा राखल जाएत। भेंटकर्ता क पहचान पत्र सेहो मुहैया करेबाक प्रावधान अछि।
* कारा क सब कोठली मे सीसीटीवी रहत, नजरि रखबा लेल सेंट्रल कंट्रोलरूम सेहो होएत। 15 दिन क रिकार्डिग डीएम कए पठाउल जाएत
* जेल क भीतर भोजन बनेबा लेल कैदी क बीच वितरित होइवाला गतिविधि सीसीटीवी मे कैद होएत
* कैदी क वायस रिकार्डिग क डाटा बेस रहत

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments