बिहार माडल कए अन्य प्रदेश मे सेहो लागू करए राजग: सिद्दीकी

दरभंगा। नेता विपक्ष आ अलीनगर क विधायक अब्दुल बारी सिद्दीकी राजग सरकार क विधायक फंड कए खत्म करबाक स्वागत केलथि अछि। संगहि ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स उम्मीद जतेलाह अछि जे ओ राजग शासित अन्य प्रदेश झारखंड, गुजरात, मध्यप्रदेश, छत्तीसगढ़, उत्तराखंड आ हिमाचल प्रदेश मे सेहो एहि कए व्यवस्था लागू करेबाक पहल करताह। दरभंगा प्रवास क दौरान सिद्दीकी स्पष्ट रूप स कहला जे राजग सरकार रट लगा रहल अछि जे एहि कोष कए खत्म कैला स भ्रष्टाचार खत्म नहि भ रहल अछि। ओ कहला जे राजग कए एहि बेर अपार बहुमत भेटल अछि आ एनडीए सरकार क कोष निरस्त संबंधी फैसला पुरान अछि। एहि लेल ओ उम्मीद करैत छथि जे जतए-जतए एनडीए क हुकूमत अछि ओतए सेहो बिहार माडल कए लागू कैल जाए। ओ कहला जे विपक्ष सरकारक विकासमुखी काज मे सहयोग देबा लेल हरदम तैयार अछि। मुदा सरकार क मंशा काज स बेची घोषणा पर आधारित लागि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments