बिहार फेर केलक कमाल

पटना। बिहार एक बेर फेर स्वच्छ प्रशासन क दिशा मे पैघ डेग उठा कए देश क लेल मिसाल पेश करि देलक अछि। राज्य सरकार 85,000 ऑफिसर/कर्मी क संपत्ति सार्वजनिक करि देलक अछि। आइ सबहक औकात दुनियाक सामने अछि।
राज्य क कुल 4.75 लाख कर्मचारी मे स 85,000 ऑफिसर/कर्मचारी क संपत्ति क विवरण इंटरनेट पर डाली देल गेल अछि। एहि मे 190 आईएएस, 169 आईपीएस, 29 आईएफएस आ 2800 प्रदेश प्रशासनिक सेवा क ऑफिसर शामिल छथि।
सबटा 4.75 लाख कर्मचारी क संपत्ति क विवरण सार्वजनिक करब बड़ कठिन काज अछि, तथापि विभाग युद्ध स्तर पर काज मे जुटल अछि आ उम्मीद जे एहि मासक अंत तक इ काज पूरा करि लेल जाएत।
सामान्य प्रशासन विभाग क प्रमुख सचिव दीपक कुमार कहला जे संपत्ति क विवरण देबा संबंधी राज्य सरकार क निर्देश कए काफी गंभीरता स लेल गेल अछि आ केवल ओहि अधिकारी क फरवरी मास वेतन भुगतान कैल गेल अछि जे एहि निर्देश क मुताबिक 28 फरवरी तक विवरण जमा करि देलथि अछि। जे अधिकारी अपन संपत्ति क विवरण जमा नहि करा सकलेथि अछि हुनका अपन पक्ष साफ करबा लेल एकटा आओर मौका देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments