बिहार दिवस पर अउताह फिजी, सूरीनाम आ मारीशस क राष्ट्रपति

0
10
esamaad maithili newspaper

पटना। राज्य सरकार बिहार शताब्दी वर्ष क मुख्य समारोह कए यादगार बनेबा लेल तैयार अछि। 22 मार्च 2012 कए शताब्दी वर्ष समारोह क विधिवत उद्घाटन होएत। एहि मौका पर एक नहि बल्कि तीन-तीनटा राष्ट्रपति क उपस्थिति समारोह क गौरव बढ़ाउत। आधिकारिक तौर पर एकर पुष्टि भ गेल अछि। राष्ट्रीय स्तर क कलाकार रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत करताह। शास्त्रीय आ सुगम संगीत क फनकार अपन जौहर देखेताह। एकरा लेल बिहार सरकार एकटा लोगो सेहो जारी केलक अछि। शिक्षा मंत्री पी.के.शाही लोगो क विमोचन केलथि। शाही कहला जे लोगों क बीच में पीपल क पत्ता भगवान बुद्ध स जुड़ाव आ हरियाली क प्रति सरकार क सरोकार कए देखबैत अछि। पत्ता पर बांया कात बिहार क नक्शा अछि आ दायां कात प्रदेश क प्रतीक चिह्न । इ लोगो राष्ट्रीय विधि विश्वविद्यालय क स्नातक अपूर्व सुकांत तैयार केलथि अछि। बिहारी युवक एकरा लेल कोनो राशि नहि लेलथि अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page