बिहार: जल्द आउत बायोटेक नीति

पटना। बिहार सरकार राज्य क कृषि आ पशु संसाधन क क्षेत्र मे सहयोग करबा लेल जल्द नव बायोटेक नीति अनबाक फैसला केलक अछि। उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी कहला जे नीति बनेबाक दिशा मे विशेषज्ञ आ तकनीकी संस्थान क मदद लेल जाएत आ सत्तारूढ़ राजग सरकार एकरालेल धन आवंटित करत। संगहि एहि दिशा मे स्टेट ऑफ द आर्ट संस्थान क सेहो निर्माण कैल जाएत। मोदी कहला जे खाद्य सुरक्षा क लक्ष्य कए पूरा करब आ दोसर हरित क्रांति अनबा लेल बायोटेक्नोलॉजी बहुत महत्वपूर्ण अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments