बिहार छूलक 14.15 फीसदी विकास दर

0
21
esamaad maithili newspaper

पटना। बिहार 14.15 फीसदी विकास दर क संग देशभरि मे अव्वल भ गेल अछि। विकास क मामला में बिहार आब महाराष्ट्र, तमिलनाडु, आंध्र प्रदेश, पंजाब, हरियाणा सन राज्‍य कए पाछु छोडि देलक अछि। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी एहि पर संतोष जाहिर केलथि अछि। हुनक कहब अछि जे 2004-05 क स्थिर मूल्‍य क आधार पर वर्ष 2010-11 क दौरान जीएसडीपी (सकल राज्य घरेलू उत्पाद) क अंतर्गत बिहार क वार्षिक विकास दर 14.15 प्रतिशत रहल। उप मुख्यमंत्री कहला जे मिनिस्ट्री आफ स्टैटिस्टिक्स एण्ड प्रोग्राम इंप्लीमेंटेशन क अंतर्गत आर्थिक आ सांख्यिकी निदेशालय क अधीन केन्द्रीय सांख्यिकी कार्यालय द्वारा जारी आंकडा क अनुसार बिहार पिछला पांच सालक दौरान तीन वित्तीय वर्ष मे 14 फीसदी स बेसी विकास दर हासिल करबा मे सफल रहल। इ एहि गपक प्रमाण अछि जे राज्य क विकास दर मे स्थायित्व आबि रहल अछि।

Comments

comments