बिहार क 23 हजार गाम एखनो अनहार

देश क एक लाख 18 हजार गाम मे एखन धरि नहि पहुंचल बिजली
नई दिल्ली। आजादी क साइठ साल बीत गेलाक बावजूद देश क एक लाख 18 हजार 499टा गाम तक एखनो बिजली नहि पहुंचल अछि। ऊर्जा राज्य मंत्री भरत सिंह सोलंकी लोकसभा मे प्रश्नकाल क दौरान एकटा प्रश्न क लिखित जवाब मे इ जानकारी दैत कहला जे उत्तर प्रदेश क तीस हजार, बिहार क 23 हजार, झारखंड क 19 हजार, उड़ीसा क 17 हजार आ असम क आठ हजार स बेसी गाम बिजली स वंचित अछि। ओ कहला जे महाराष्ट्र क मात्र छहटा गाम एहन अछि जाहि ठाम बिजली नहि पहुंचल अछि, जखन कि आन्ध्र प्रदेश, गुजरात, हरियाणा, केरल, पंजाब और तमिलनाडु क सा गाम मे बिजली पहुंच गेल अछि। ऊर्जा राज्य मंत्री कहला जे बिजली स वंचित एक लाख 18 हजार गाम तक बिजली पहुंचेबा लेल सरकार राजीव गांधी ग्रामीण विद्युतीकरण योजना क तहत 567 परियोजना कए मंजूरी देलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments