बिहार क 2टा मिल मे बनत एथेनॉल

मुंबई। हिंदुस्तान पेट्रोलियम कॉरपोरेशन लिमिटेड (एचपीसीएल) एथेनॉल क उत्पादन करैवाला देश क सबस पैघ पेट्रोलियम कंपनी बनत। एचपीसीएल पिछला साल बिहार क पूर्वी आ पश्चिमी चंपारण जिला मे सुगौली आ लौरिया मे 2टा चीनी मिल कए लीज पर लेने छल। कंपनी एहि चीनी मिल कए 60 साल लेल लीज पर लेलक अछि आ अगर जरूरत पड़ल त एकर लीज क अवधि अगिला 30 साल क लेल आओर बढ़ाउल जा सकैत अछि। कंपनी अधिकारी क कहब अछि जे एहि साल क अंत तक एहि दूनू चीनी मिल मे एथेनॉल क उत्पादन शुरू भ जाएत। एहि ठाम बनल एथेनॉल क इस्तेमाल कंपनी अपन पेट्रोल मे करत आ सरप्लस एथेनॉल दोसर कंपनी कए बेचत। एहि दूनू चीनी मिल स रोजाना 60 किलोलीटर एथेनॉल क उत्पादन करबाक योजना अछि।
अधिकारीक कहब अदि जे एहि दूनू मिल स उत्पादित एथेनॉल बिहार आ आस पास क राज्य मे ईंधन मे मिलेबा लेल काफी अछि। आयातित तेल क निर्भरता कम करबा लेल भारत मे पेट्रोल मे एथेनॉल क मिलावट कए अनिवार्य करि देल गेल अछि। करीब 5 साल पहिने पेट्रोल मे 5 फीसदी एथेनॉल मिलाकए बेचबाक आदेश छल मुदा एखन धरि एहि कार्यक्रम कए महज 58 फीसदी सफलता भेटल अछि।
अधिकारी कहला, हम एथेनॉल उत्पादन क्षमता कए घटा-बढ़ा सकैत छी। हम 50 या फेर 70 फीसदी एथेनॉल क उत्पादन करि सकैत छी। एहि मिल मे उत्पादित चीनी कए स्थानीय कारोबारी एजेंसी कए बेचल जाएत। दूनू चीनी मिल क रोजाना पेराई क्षमता 3,700 टन अछि। एहि चीनी मिल मे 100 मेगावॉट प्रत्येक क विद्युत सह-उत्पादन अछि।
एचपीसीएल एहि बीमार पड़ल चीनी मिल क सूरत बदलबा लेल 614 करोड़ टका खर्च केलक अछि। इ दूनू चीनी मिल 75 साल पुरान अछि आ 1996 स बंद अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments