बिहार क हजारो परीक्षार्थीक प्रवेश पत्र मे गड़बड़ी

इलाहाबाद। केंद्रीय पुलिस संगठन मे सिपाही (सामान्य) क भर्ती हेतु पांच जून कए होइवाला परीक्षा क लेल बिहार क हजार परीक्षार्थी क प्रवेश पत्र मे गड़बड़ी पाउल गेल अछि। कर्मचारी चयन आयोग आब शारीरिक दक्षता परीक्षण मे सफलता हासिल करनिहार बिहार क सबटा अभ्यर्थी कए संशोधित प्रवेश पत्र डाक स पठा रहल अछि। प्रवेश-पत्र मे तकनीकी कारण स टिकट संख्या क इकाई क अंक छूटल अछि। सही टिकट संख्या सात अंकक अछि। कर्मचारी चयन आयोग (मध्य क्षेत्र) क निदेशक, एके मिश्रा कहला जे अभ्यर्थी कार्यालय क वेबसाइट स सेहो अपन सही टिकट संख्या प्रवेश-पत्र मे लिख सकेत छी या अपन द्वितीय प्रवेश-पत्र डाउनलोड करि सकैत छी। परीक्षार्थी कए परीक्षा केंद्र पर सात अंक वाला टिकट संख्या वाला प्रवेश-पत्र ल कए जेबाक अनिवार्य अछि। गौरतलब अछि जे पांच जून कए होइवाला एहि लिखित परीक्षा क लेल भागलपुर मे छह आ पटना मे 19टा परीक्षा केंद्र बनाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments