बिहार क सड़क सबस नीक

पटना। बिहार सड़क विकास निगम द्वारा बनाउल गेल सड़क गुणवत्ता क लिहाज स देश क सबस नीक सड़क मे शुमार भ गेल अछि। इ गप केंद्रीय वित्त मंत्रालय क अधीन डिपार्टमेंट आफ इकोनोमिक अफेयर्स क अधिकारी कहब अछि। अधिकारी कहला जे बीएसआरडीसी क प्रशंसनीय कार्य कए डीईए रिकार्ड मे शामिल करत। डीईए क सचिव महानदासन पी बीएसआरडीसी क प्रबंध निदेशक प्रत्यय अमृत कए पत्र लिख कहला अछि जे प्रोजेक्ट क रचनात्मकता काफी प्रशंसनीय अछि। एशियन डेवलपमेंट बैंक बिहार मे बनि रहल 820 किलोमीटर लंबा सड़क क निर्माण क प्रथम चरण मे लगभग 420 मिलियन डालर क सहायता द रहल अछि। अधिकारी कहला मात्र दस माह मे बीएसआरडीसी कए एहि स 25.28 करोड़ टकाक लाभ भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. neek chalaiye mithilak esamad. aapan gharak, dwarak khoj khabar vataiye. aheena apan bhasa ke rail ke daurau.

Comments are closed.