बिहार क विकास स सबक सीखबा क राष्ट्रपति क अपील

विराटनगर(नेपाल)। राष्ट्रपति डॉ रामवरण यादव तीन दिनक यात्रा पर पूर्वांचल आयल छलाह। अपन भ्रमण क सिलसिले मे विराटनगर पहुंचल राष्ट्रपति क पूर्वांचल क कईटा उद्योग वाणिज्य संघ नागरिक अभिनन्दन केलक। एहि अवसर पर राष्ट्रपति डॉ यादव कहला जे राजनीतिक स्थिरता क बिना देश मे आर्थिक उन्नति नहि भ सकैत अछि। लंबा समय स देश क द्वंद्व मे फंसल हेबाक कारण स सबस नकारात्मक असर उद्योग क्षेत्र पर पडल अछि। ओ कहला जे नेपालक दूनू पडॉसी देश तेजी स विकास क रहल अछि आ हम ओकर विकासक फायदा नहि उठा पाबि रहल छी। बिहार क जिक्र करैत राष्ट्रपति कहला जे कखनो अत्यन्त पिछडल इ राज्य आइ अकल्पनीय विकास स दुनिया कए अचंभित केने अछि। हमरा सब कए बिहार कए देखि उत्साह हेबाक चाही आ बिहार स प्रेरणा लेबाक चाही। राष्ट्रपति देश क उद्योगपति स जलविद्युत, पर्यटन आ कृषि क्षेत्र मे निवेश करबाक अपील केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments