बिहार क विकास मे भागीदार बनबाक इच्छुक अछि ब्रिटेन

नई दिल्ली। ब्रिटेन बिहार क आर्थिक विकास मे रुचि देखा रहल अछि। ब्रिटिश कंपनी लेल निवेश क संभावना तकबा लेल एकटा प्रतिनिधि मंडल बिहार गेल अछि। ब्रिटेन क वित्त मंत्री जॉर्ज ओसबोर्न खुद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट केलथि अछि आ राज्य मे निवेश क संबंध मे जानकारी लेलथि अछि। जानकारी क अनुसार ओसबोर्न क संग भारत मे ब्रिटिश उच्चायुक्त जेम्स बीवेन, सांसद जे जॉनसन आ ब्रिटिश उच्चायोग क राजनीतिक प्रमुख पॉल रेनी सेहो प्रतिनिधिमंडलक हिस्‍सा छलाह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रतिनिधिमंडल स कहला जे बिहार मे निवेश क काफी मौका अछि जाहि मे विशेष रूप स उर्जा, पेशेवर शिक्षा (इंजीनियरिंग, प्रबंधन, कानून, कौशल विकास) आ कृषि आधारित उद्योग क्षेत्र शामिल अछि। कुमार कहला जे हुनकर सरकार सुशासन कए सर्वोच्च प्राथमिकता देने अछि जाहि मे ‘कानून व्यवस्था’ लागू करब, सरकार क काज मे पारदर्शिता, आधारभूत संरचना मे निवेश, स्वास्थ्य आ शिक्षा सन जनसेवा क वितरण कए मजबूत करब शामिल अछि। ओ ब्रिटेन क वित्त मंत्री कए बिहार एबाक विशेष निमंत्रण देलथि। ओसबोर्न कहला जे ओ अपन अगिला भारत यात्रा क दौरान बिहार क बारे मे आओर बेसी जानकारी लेबाक कोशिश करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments