बिहार क विकास मे भागीदार बनू : कलाम

पटना। पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम न आईआईटी पटना क छात्र स अपन ज्ञान क सहारा बिहार क विकास मे भागीदार बनेबा लेल कहक अछि। पटना आईआईटी क प्रथम दीक्षांत समारोह कए संबोधित करैत कलाम कहला हुनका उम्मीद अछि जे आईआईटी पटना क छात्र बिहार मे सतत विकास प्रक्रिया मे भागीदार बनताह। ओ कहला जे कृषि क गढ रहल बिहार क किसान कए हुनकर कृषि उत्पाद क अधिक स अधिक मूल्य भेट सकए एकरा लेल आईआईटी छात्र अपन तकनीकी जानकारी आ खोज क जरिए रणनीति तैयार करि आ बाजार विकसित करि। कलाम कहला जे लंबा समय स बाढ आ सूखा क विभीषिका झेल रहल बिहार मे आवश्यकता स अधिक जल क उचित उपयोग आ ओकर उचित प्रबंधन लेल नदी कए जोडि कए सिंचाई क आधारभूत संरचना कए विकसित करबा मे आईआईटी छात्र मे अपन योगदान दी, ताकि एहि प्रदेश मे जल संचरण क संग इ बाढ मुक्त भ सकए।
ओ कहला जे बाढग्रस्‍त इलाका कए ओकरा स छुटकारा दियेबा लेल आ सूखल इलाका तक पाइन पहुंचेबा लेल नहर क माध्यम स नदी कए जोडल जा सकैत अछि।
कलाम कहला जे ग्रामीण इलाका मे पैघ आबादी क निवास आ ग्रामीण इलाका क सतत विकास समय क मांग क मद्देनजर आईआईटी छात्र क इ जिम्मेदारी बनैत अछि जे ओ एहि दिशा मे प्रयास करि जे गाम मे रहनिहार लोक क जीवन स्तर मे सुधार आबि सकए।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments