बिहार क लाल कए भेटल मित्तल राष्ट्रीय पुरस्कार

0
45
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली। देश मे स्वच्छता अभियान मे क्रांतिकारी योगदान देब वाला गैरसरकारी संस्था सुलभ इंटरनेशनल क संस्थापक आ सामाजिक कार्यकर्ता बिंदेश्वर पाठक कए सतपाल मित्तल राष्ट्रीय पुरस्कार 2009 देल गेल। हिमाचल प्रदेश क मुख्यमंत्री प्रेम कुमार धूमल हुनका लुधियाना मे एकटा कार्यक्रम क दौरान एहि पुरस्कार स सम्मानित केलाह। पाठक कए सामाजिक क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान देब कए लेल इ पुरस्कार देल गेल। मालूम हुए जे इ पुरस्कार एयरटेल भारतीय समूह क मालिक सुनील मित्तल आ हुनकर भाई राकेश मित्तल क पिता सतपाल मित्तल कए याद मे देल आएत अछि। बिहार क रामपुर मे 2 अप्रैल, 1943 कए पैदा भेल बिंदेश्वर पाठक भारत सरकार क तरफ स पद्म भूषण स सेहो सम्मानित अछि।

Comments

comments