बिहार क मजदूर फेर बनल निशाना

कपूरथला। पंजाब मे बिहार निवासी मजदूर कए एक बेर फेर निशाना बनाउल गेल। एहि बेर निशाना पर छल कपूरथला रेलवे स्टेशन क लग मे झुग्गी बस्ती मे रहै वाला गरीब मजदूर। 30-35 क करीब हमलावर हिनकर बस्ती पर कहर बनि कए टूटल। हथियारबंद हमलावर झुग्गीवासी कए जम कए पिटाई केलक आ चलि गेल। एहि दौरान पुलिस तमाशबीन बनल रहल। अचानक भेल इ हमला स लोक क बीच कोहराम मच गेल। जान बचेबा लेल लोक झुग्गी छोड़ कए बाहर भागै लागल। एहि घटना कए सूचना कोनो दुकानदार पुलिस कंट्रोल रूम कए देलक। एहि घटना मे घायल भेल लोक मे विजय, ओकर पत्नी कांति, आठ वर्षीय बच्ची अनीता, बुजुर्ग सूरदास, बोहर पासवान, ओकर पत्नी लीला देवी क अलावा सुखदेव, रणजीत आ प्रेम आदि शामिल अछि। इ सब टा लोक बिहार क समस्तीपुर, बेगूसराय आ पूर्णिया जिला क रहै वाला अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments