बिहार क प्रीति बनलीह रेलवे क पहिल महिला चालक

मुंबई । मुंबई क आम लोक क भांति 34 वर्षीय प्रीति कुमारी सेहो मंगलदिन लोकल ट्रेन स यात्रा केलथि, मुदा प्रीति आ आम लोक मे इ फर्क छल जे ओ ट्रेन चलेलथि आ पश्चिम रेलवे क पहिल महिला चालक बनि गेलथि।
बिहार क बेटी प्रीति चर्चगेट आ बोरिवली क बीच दुपहरिया 2ः29 बजे क लोकल चलेलथि। हुनका एकटा मुख्य लोको निरीक्षक निर्देशित करि रहल छलाह। छह माह तक प्रशिक्षण लेलाक बाद एहि काज क लेल उत्साहित प्रीति कहलथि जे एहि उपलब्धि स ओ खुश छथि। मंगलदिन पश्चिम रेलवे मे तीन गोटे इ काज शुरू केलक जाहि मे ओ एकटा छथि।
एहि पद क लेल अगस्त 2009 मे 69 अभ्यर्थी प्रशिक्षण लेब शुरू केने छल जाहि मे स गोटे कए आइ काज सौंप देल गेल। प्रीति भारतीय रेलवे मे एहि पद पर सीधा नियुक्ति पौनिहारि ने पहिल महिला छथि। मध्य रेलवे मे ट्रेन चलौनिहारि सुरेखा यादव एशिया क पहिल महिल ट्रेन चालक छथि, मुदा ओ सहायक चालक क पद पर रहैत इ काज केलथि।
प्रीति बिहार क बांका जिला क रहनिहारि छथि आ सासुर दरभंगा छैन, ओ इलेक्ट्रानिक्स मे डिप्लोमा क अलावा बीए क डिग्री प्राप्त केने छथि। ओ उपनगर दसिहर मे अपन पति क संग रहैत छथि, जे भारतीय वायु सेना मे कार्यरत छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. पैघ तैयारि के बाद १९ सम कौमन्वैल्थ खेल सम्प्न्न भेल ,पदक जितय बला सब player सब के शुभकामना ,खाश के बिहार् क एक मात्र पद्क बिजेता के,क्रिपया हुन् क समाचार सेहो,देख् बा ले मिलत तेकर अशा मे….शुभकामना सहित-इश नाथ मिश्रा.

Comments are closed.