बिहार क तारीफ केलक मूडीज

नई दिल्ली। वैश्विक अनुसंधान एजेंसी मूडीज इकनॉमी डॉट कॉम कहलथि जे बिहार क शानदार आर्थिक प्रदर्शन स पता चलि रहल अछि जे कोन तरह सरकारी नीति स विकास दर कए बढ़ाउल जा सकैत अछि। मूडीज क अर्थशास्त्री निखिलेश भट्टाचार्य कहलथि जे बिहार परंपरागत रूप स भारत क गरीब राज्य मे छल। ओ दिखउलक जे कोना आगू बढ़ल जा सकैत अछि। केंद्रीय सांख्यिकी संगठन क ताजा आंकड़ा क अनुसार बिहार 2004-05 स 2008-09 क दौरान हर साल 11.03 प्रतिशत क वृद्धि दर हासिल केलक अछि। एहि मामला मे सिर्फ गुजरात 11.05 प्रतिशत क वृद्धि दर क संग बिहार स आगू अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments