बिहार क तरक्की देख खुश भेल वर्ल्ड बैंक

पटना । नीतीश कुमार क शासन काल मे बिहार क तरक्की कए आंखि स देख वर्ल्ड बैंक सेहो प्रभावित भ गेल। वर्ल्ड बैंक क प्रमुख रॉबर्ट जोलिक आब खुद विस्तृत रूप स एकर जानकारी चाहैत छथि।
एहि संबंध मे नीतीश कहला, जोलिक बिहार क तरक्की क कहानी कए विस्तार स बुझबा क इच्छा रखलाह अछि। हम काफी हद तक हुनका एहि विषय मे जानकारी द देलहुं अछि। नीतीश कहला जे बिहार सरकार क साइकिल योजना हुनका काफी नीक लागल। नीतीश कुमार इ सेहो कहला जे हुनकर इ योजना साल 2015 तक बिहार कए विकसित राज्य क तौर पर पेश करबाक अछि। आओर हुनकर उम्मीद अछि जे वर्ल्ड बैंक एहि मे पूरा सहयोग करत। जोलिक क संग भेल अपन भेंट क दौरान नीतीश हुनका बिहार क प्रमुख पर्यटन स्थल बोध गया एबाक न्योत देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments