बिहार क गाम कए रोशन करत टेरी

पटना। टेरी क निदेशक आरके पचौरी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स एहि संबंध मे पेशकश केलथि अछि। मुख्यमंत्री टेरी क संग काज करबा क प्रस्ताव मे रुचि देखेलथि अछि । पटना मे आयोजित एकटा सेमिनार मे हिस्सा लेलाक बाद पचौरी कहला जे नीतीश कुमार टेरी क संग काज करबा लेल आतुर छथि। ओ कहला जे सौर ऊर्जा बिहार क तस्वीर बदलि देत। पचौरी कहला, ‘ग्रामीण इलाका कए सौर ऊर्जा स रोशन करबा मे बिहार अन्य राज्य क नेतृत्व करि सकैत अछि। एहि स अनहार मे रहनिहार ग्रामीण लोक कए इजोत भेटत।Ó पचौरी कहला जे बिहार मे एखन 1.43 करोड़ लोक किरोसिन क इस्तेमाल करैत अछि ओ कहला जे एहन लोकसब कए टेरी सोलर लालटेन या लैंप मुहैया कराउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments