बिहार क एम्स मे पढ़ाई शुरू

पटना। पटना स्थित जयप्रकाश नारायण अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) मे आखिरकार मंगलदिन स एमबीबीएस क पढ़ाई शुरू भ गेल। हालांकि एखनो एम्स परिसर मे स्थित भवन आओर अन्य निर्माण क कार्य प्रगति पर अछि। बिहार क स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे आओर एम्स क निदेशक गिरीश कुमार सिंह क उपस्थिति मे एकटा छोटसन समारोह मे विधिवत तरीका स 50 विद्यार्थी क पहिल बैच स एमबीबीएस क पढ़ाई क शुरूआत भेल। एहि बैच मे 13टा छात्रा आ शेष छात्र छथि। तत्कालीन उपराष्ट्रपति भैरोसिंह शेखावत जनवरी 2004 मे एम्स क शिलान्यास केने छलाह। निर्माण मे देरी पर पटना उच्च न्यायालय कईबेर केंद्र आ राज्य सरकार कए फटकार लगौने छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments