बिहार केंद्रीय विश्‍वविद्यालय क नाम पर गतिरोध

0
2
esamaad maithili newspaper

पटना। केन्द्रीय विश्वविद्यालय क नामाकरण पर आब हंगामा शुरू भ गेल अछि। मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल दूनू विश्‍वविद्यालय क नाम उतरी आ दक्षिणी बिहार विश्वविद्यालय रखबाक घोषणा केलथि अछि। किछु लोक एकर विरोध शुरू क देलथि अछि। विरोध केनिहार लोकक कहब अछि जे पहिने केन्द्रीय विश्वविद्यालय खोलबा पर आ आब एकर नाम पर सिब्बल ओछी राजनीति क रहल छथि। विरोध केनिहारक कहब अछि जे मंत्री नामकरण क माध्‍यम स बिहार कए दू भाग मे बांटबाक प्रयास क रहल छथि। एहन मे नामकरण पर उठल विवाद स आब एहि विश्‍वविद्यालय लेल एकटा नव संकट पैदा भ गेल अछि। गया आ मोतिहारी मे विश्वविद्यालय क नामाकरण पर केन्द्रीय मंत्री सिब्बल द्वारा प्रस्तावित नाम पर प्रतिक्रिया व्यक्त करैत आंदोलनकारी सबहक कहब अछि जे मोतिहारी मे विश्वविद्यालय क नाम महात्मा गांधी आ गया क पंचानपुर मे विश्वविद्यालय क नाम महात्मा बुद्ध अथवा भगवान विष्णु क नाम पर रखबाक चाही।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page