बिहार कए विशेष दर्जा लेल पीएम स भेंट केलथि लालू

पटना । दक्षिण भारत क भांति धीरे-धीरे बिहार क राजनीति सेहो विकासक मामला मे दलगत भावना स उपर उठि रहल अछि। एकर प्रमाण बुध दिन तखन देखबा मे भेटल जखन बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देबाक क मांग पत्र ल राजद प्रमुख लालू प्रसाद प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स भेंट करबा लेल सात रेसकोर्स रोड पहुंचलाह। प्रधानमंत्री स लालू प्रसाद कहला जे बिहार क बंटवारा स एहन धरि कई मंच स कई प्रकार स विशेष राज्य क दर्जा देबा लेल मांग होइत रहल अछि। लालू कहला जे सरकार बदलि गेल मुदा एहि मांग पर कोनो विचार नहि भेल। राजद बटवारा काल स इ मांग करि रहल अछि मुदा, तत्कालीन एनडीए सरकार एकरा ठुकरा देलक आ यूपीए सेहो एहि पर गंभीरता स विचार नहि करि रहल अछि।
लालू प्रसाद कहला जे हम अपन पुराने स्टैंड कए दोहरेबा लेल आयल छी। बिहार कए विशेष दर्जा शीघ्र देल जाए। प्रधानमंत्री कहला जे ओ एहि मामला मे किछु नहि करि सकैत छथि। एहि संबंध मे फैसला राष्ट्रीय विकास परिषद (एनडीसी) करत। राजद सूत्र क कहब अछि जे प्रधानमंत्री लालू प्रसाद स कहला जे हम जदयू क सांसद स सेहो यैह कहने छलहुं कि इ मसला पर फैसला लेबा लेल एनडीसी अधिकृत अछि। लालू प्रसाद क संग सांसद जगदानंद सिंह, पूर्व केंद्रीय मंत्री प्रेमचंद गुप्ता, प्रधान महासचिव रामकृपाल यादव, पूर्व केंद्रीय मंत्री जयप्रकाश यादव आ पूर्व सांसद रामदेव भंडारी सेहो गेल छलाह। एहि ठाम सवाल इ नहि अछि जे लालूक हाथ की आयल, सवाल इ अछि जे बिहारक विकास लेल, राज्‍यक हित लेल बिहारक नेता एकमत भ रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments