बिहार कए रोशन करबा लेल 13 अरब खर्च करत अमेरिकी कंपनी

वाशिंगटन : अमेरिका क एकटा कम्पनी अपन कारपोरेट सामाजिक उत्तरदायित्व कार्यक्रम क तहत बिहार कए रोशन करबा लेल 13 अरब टका खर्च करत। कंपनी बौद्ध स्थल पर सौर ऊर्जा परियोजना स्थापित करबा लेल राज्य सरकार स अनुमति ल लेलक अछि। कम्पनी बौद्ध सर्किट क आसपास काज करबा लेल योजना तैयार केलक अछि, पहिल चरण मे राजगीर, नालंदा आ बोध गया मे प्लांट लगाउल जाएत। बाद मे एकर विस्तार वैशाली आ अन्य स्थान तक कैल जाएत।
एफजेएस एनर्जी एलएलसी, यूएसए क स्थापना 2011 मे भेल अछि। एहि कम्पनी क स्थापना भारतीय और उत्तर अमेरिकी ऊर्जा पेशेवर सब केने छथि। कम्पनी क कार्यालय दिल्ली, न्यूजर्सी आ कनाडा क ओंटेरियो मे स्थित अछि। कम्पनी क मुख्य संचालन अधिकारी क्रिस्टोफर सगुर्नाम कहला अछि- हम काज क प्रक्रिया जल्द-स-जल्द शुरू करै चाहैत छी।”
ओ कहला जे कम्पनी क सम्पूर्ण योजना 13 अरब टकाक अछि जाहि स 200 मेगावाट क परियोजना स्थापित होएत, मुदा पहिल चरण मे 20 स 25 मेगावाट क परियोजना शुरू कैल जा रहल अछि, जाहि पर 1.6 अरब टका खर्च होएत। कम्पनी एहि परियोजना कए गैर-लाभकारी तरीका स कारपोरेट सोशल रिस्पॉन्सिबिलिटी कार्यक्रम क तहत चलाउत। कम्पनी एहि स्थान पर एहि लेल ध्यान केंद्रित केलक अछि किया त इ दुनिया क एकटा प्रमुख धार्मिक स्थल अछि आओर पिछला किछु समय मे एहि ठाम घरेलू आ विदेशी पर्यटक क संख्या मे बेतहाशा वृद्धि भेल अछि। सरगुनाम कहला-“बिहार सरकार योजनाबद्ध तरीका स सड़क मार्ग आओर अन्य महत्वपूर्ण आधारभूत संरचना क विकास क रहल अछि, मुदा ओतबे जरूरी इ सेहो अछि जे बिजली क प्रदूषण रहित आओर निर्बाध आपूर्ति क माध्यम स दुनिया क सामने एकटा प्रतिमान ठार कैल जाए।” कम्पनी क मुख्य ध्यान एखन बिहार पर अछि, मुदा अवसर भेटला पर कंपनी आन ठाम सेहो ध्यान देत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments