बिहार कए भेटल सिल्वर आईकन वेब रत्न अवार्ड

नई दिल्‍ली । बिहार क वर्ष 2012 क लेल सिल्वर आईकन वेब रत्न अवार्ड स सम्मानित कएल गेल अछि । इ सम्मान एही बातक संकेत अछि जे बिहारक बदलल हालात पर केन्द्र सेहो अपन मुहर लगा रहल अछि।
सोम दिन केन्द्रीय संचार एवं सूचना प्रौद्योगिकी मंत्री कपिल सिब्बल नई दिल्ली मे बिहार ‘पब्लिक ग्रीवांस रीड्रेसल सिस्टम’ क लेल नगर विकास आओर जन शिकायत सचिव डा0 एस सिद्धार्थ कए इ पुरस्कार देलैथि। एही मौका पर बेल्ट्रान क एमडी अतुल सिन्हा सेहो मौजूद छलाह।
बिहार ‘पब्लिक ग्रीवांस रीडे्रसल सिस्टम’ जनताक द्वारा कैल गेल फरियाद वा हुनकर समाधान लेल सरकारक प्रयास क निगरानीक आनलाईन व्यवस्था अछि।
सरकार क जवाबदेही सुनिश्चित करबा मे एही सिस्टमक व्यापक पहूंचक वजह स केन्द्रीय सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालय वा नेशनल इंफार्मेटिक सेन्टर सिल्वर आईकन वेब रत्न अवार्ड स सम्मानित केलक अछि। वेबसाईटक जरिया स अपन शिकायत मुख्यमंत्रीक समक्ष रखबाक एही व्यवस्था स सिस्टमक उपयोगिता कइक गुणा बढी गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments