बिहार कए भेटल लाबा-दुआ

1
9
esamaad maithili newspaper

पटना। रेल मंत्री ममता बनर्जी अपन रेल बजट मे बिहार कए लाबा-दुआ में किछु गाडी द कए उपकार कए देलथि अछि। बिहार मे ममताक एहि रूप स बिहारक उपेक्षा करबा क कारण घोर निराशा अछि। सब इ मानैत अछि जे रेल बजट स बिहार क आवश्यकता कोनो हाल मे पूरा नहि कैल गेल। ओना शपथ खेबा लेल ममता दीदी एकटा दुरंतो एक्सप्रेस सहित किछु गाडी बिहार कए भीख मे द देलथि अछि। रेल मंत्री बजट मे बिहार क लेल जे कुल नौटा दुरंतो मे स एकटा निकलल ओ पटना-शालीमार(बंगाल) क बीच सप्ताह मे तीन दिन चलत। अन्य गाडी मे हैदराबाद-दरभंगा एक्स. (साप्ताहिक), भागलपुर-अजमेर एक्स. (साप्ताहिक), हावड़ा-दरभंगा एक्स. (साप्ताहिक), सहरसा-पटना इंटरसिटी (प्रतिदिन), बरकाकाना-डेहरी आन सोन पैसेंजरक विस्तार, हाजीपुर-फुलवरिया पैसेंजर आब बथुआ बाजार तक, हाजीपुर-थावे आब कप्तानगंज तक, जम्मू तवी- सोनपुर (12491-12492) एक्सप्रेस आब मुजफ्फरपुर तक, निजामुद्दीन- बापूधाम (12211- 12212) मोतिहारी एक्सप्रेस आब मुजफ्फरपुर तक जाएत। जखन कि चारिटा स्पेशल टूरिस्ट ट्रेन मे स एकटा हावड़ा- बोलपुर- राजगीर- पाटलिपुत्र (पटना)- वाराणसी (सारनाथ)- गया लेल चलत।
आमान परिवर्तन लेल मुरलीगंज-बनमनखी, छौड़ादानो-रक्सौल, मधेपुरा-मुरलीगंज, बैरगनिया-छौड़ादानो कए चनल गेल अछि।
नव रेल लाइन क जहां तक सवाल अछि त बिरौल- कुशेश्वरस्थान, रुन्नी सैदपुर- जुब्बासहनी, बांका-करझुसा हाल्ट, दनियावां- बिहारशरीफ, बिशनुपुर-मशरख खंड, कोसी पुल, पनियहवा- छितौनी खंड, फुलवारीशरीफ -पाटलिपुत्र खंड केवल बिहार क झोली मे आयल अछि।
एकर अलावा गया, सासाराम, भागलपुर, हाजीपुर आ इस्लामपुर मे मल्टी फंक्शनल कांप्लेक्स आ बजट होटल बनत।
कुल मिला कए बिहारक लोक एहि गप पर संतुष्ट भ सकैत छथि जे बंगाल जाइवाला बहुत रास गाडी बिहार द कए जाएत आ एकर लाभ बिहारक जनमा उठा सकैत छथि। अन्य योजनाक क गप करि त एहि बेर प्रस्तावित कोनो नव योजना मे बिहारक नाम नहि अछि। पुरान योजना पर सेहो धन वर्षा त छोडू फुहार तक नहि देल गेल अछि। बजटक दौरान भेल हल्ला क बाद मधेपुरा कारखान कए जल्द शुरू करबाक गप कहल गेल मुदा समय सीमा नहि बताउल गेल। एहि बेर बिहारक केवल पांच टा स्टेशन कए माडल बनेबाक प्रस्ताव अछि। मुदा दोहरीकरण, विद्युतीकरण सन कोनो योजना स बिहार बिला गेल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

Comments are closed.