बिहार कए भेटल पहिल इंदिरा प्रियदर्शनी वृक्ष मित्र अवार्ड

पटना । बांका आ जमुई जिला क 17 हजार हेक्टेयर मे कैल गेल वृक्षारोपण बिहार क खाता मे इंदिरा प्रियदर्शनी वृक्ष मित्र अवार्ड आनि देलक। अधिकारी कए इ भरोस नहि छल जे हरियाली क लेल पहिल बेर राज्य कए देल जाइवाला पुरस्कार बिहार क हिस्सा मे आउत। पुरस्कार क लेल बिहार आ जम्मू-कश्मीर कए संयुक्त रूप स चुनल गेल अछि। ओ पल 19 नवंबर कए आउत जखन पूर्व प्रधानमंत्री इंदिरा गांधी क जयंती पर इ पुरस्कार दिल्ली मे लोदी रोड पर स्कोप कम्पलेक्स क सभागार मे देल जाइत। प्रशस्ति पत्र क संग चारि लाख टका सेहो भेटत। प्रथम पुरस्कार बिहार क खाता मे एला पर पर्यावरण एवं वन अधिकारी मे खुशी क लहर अछि। वन संरक्षक बीए खान एकरा सीना पर टांगल तमगा मानैत छथि। इंदिरा प्रियदर्शनी वृक्ष मित्र अवार्ड क शुरुआत 1986 मे भेल अछि, मुदा एखन धरि इ गैर सरकारी संगठन (एनजीओ) कए देल जाइत छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments