बिहार कए भेटल पदक

पटना। अहमदनगर (पुणे) में आयोजित बालक अंडर 14 राष्ट्रीय स्कूली तीरंदाजी चैंपियनशिप मे बिहार क खिलाडी दूटा पदक झटकि अनलाह अछि। व्यक्तिगत 30 मी. इंडियन राउंड स्पद्धा में मुन्नालाल मरांडी रजत पदक जीतलाह। इंडियन राउंड टीम स्पद्धा में बिहार क मुन्नालाल मरांडी, रोहित सोरेन, अजय लकड़ा आ पतरास बास्की क चौकड़ी कांस्य पदक जीतल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments