बिहार कए भेटल अतिरिक्‍त बिजली

कहलगांव। बिजली समस्‍या स ग्रस्‍त बिहार कए मंगलवार किछु राहत भेटल। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड कए केंद्रीय प्रक्षेत्र स 62.5 मेगावाट अतिरिक्त बिजली भेट गेल। इ बढोतरी एनटीपीसी क फरक्का सुपर थर्मल पावर स्टेशन क छठम इकाई स व्यावसायिक उत्पादन शुरू भेला स संभव भेल अछि। एनटीपीसी लिमिटेड पूर्वी क्षेत्र (एक) क क्षेत्रीय कार्यकारी निदेशक उमेश प्रसाद पाणि कहला जे मंगलदिन क मध्य रात्रि एक बजे स फरक्का क नवनिर्मित छठम इकाई कए व्यावसायिक घोषित करि देल गेल अछि। ज्ञात हुए जे 500 मेगावाट क्षमता क इस इकाई मे 12.5 प्रतिशत हिस्सा बिहार क अछि। फरक्का क अन्य पांच इकाइ क कुल स्थापित क्षमता 1600 मेगावाट अछि, जाहि मे बिहार क कोटा 29.32 प्रतिशत अछि। एहि बिजलीघर स बिहार कए कुल 470 मेगावाट बिजली फिलवक्त भेट रहल छल, जाहि मे आब 62.5 मेगावाट क बढ़ोतरी भ गेल अछि। बिजली संकट स ग्रस्‍त बिहार लेल इ किछु राहत द सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments