बिहार आब देश भरि कए खुआउत माछ!

पटना । अगर सब किछु सही तरीका स भेल, त अगिला पांच साल मे आंध्रप्रदेश स बिहार मे माछक आयात बंद भ सकैत अछि संगहि बिहार क माछ देश भरि मे पठाउल जा सकैत अछि। माछक उत्पादक बढेबा लेल बिहार सरकार यूक्रेन स समझौता केलक अछि। एहि समझौता क तहत बिहार मे माछक उत्पादन त बढत संगहि बिहारी भैंस क गोश्त सेहो विदेश मे बिका सकत। राज्य सरकार माछ उत्पादन कए बढ़ावा देबा लेल जल-जमाव वाला क्षेत्र क पूर्ण उपयोग करबाक एकटा योजना तैयार केलक अछि, एहि योजनाक फल सेहो सामने आबि रहल अछि। मत्स्य आ पशु संसाधन मंत्री गिरिराज सिंह क अनुसार विभाग क कार्ययोजना स प्रभावित भ कए नेशनल फिशरीज डेवलपमेंट बोर्ड (एनएफडीबी) एक लाख हैक्टेयर चौर (वेटलैंड) कए विकसित करबाक खर्च उठेबा लेल तैयार भ गेल अछि। मंत्री बोर्ड क अधिकारी स वार्ता करबा लेल 21 फरवरी कए दिल्ली जा रहल छथि। ओ कहला जे यूक्रेन बिहारी भैंस क गोश्त खरीदबा मे दिलचस्पी ल रहल अछि, जाहि स एहि क्षेत्र मे सेहो संभावना नजरि आबि रहल अछि। विगत 17-18 जनवरी कए यूक्रेन क एकटा टीम बिहार आयल छल। मंत्री क अनुसार बिहार मे यूनिट लगाकए एहि पर ध्यान देल जाए, त कारोबार मे नीक उछाल आबि सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments