बिहार आबि सकैत छथि ओबामा


पटना। बिहार दौरा पर आयल भारत मे अमेरिका क राजदूत टिमोथी जे रोमर कहला अछि मंदीक एहि माहौल मे बिहारक चमत्कारिक प्रदर्शन स अमेरिकी राष्टï्रपति काफी प्रभावित छथि आ ओ अपन प्रस्तावित भारत दौरा क दौरान बिहार आबि सकैत छथि। रोमर कहला जे ओबामा अपन आंखि स एहि राज्य मे भ रहल बदलाव कए देखि एहि ठाम लेल अमेरिकी भूमिका तय करय चाहैत छथि। समाद स खास गप मे रोमर कहला जे एखन किछु तय नहि भ सकल अछि, मुदा ओबामाक बिहारक प्रति जगल स्नेह स लगैत अछि जे ओ एक दिन लेल बिहार आबि सकैत छथि।
रोमर शुक्रदिन पटना क सड़क पर अपन पत्नी कए बैसाकए रिक्शा चलेलाक बाद कहला जे बिहारक सड़क आ माहौल दूनू विहार योग्य अछि। ओ एकर खूब आनंद लेलथि।
पटना मे सम्मान फाउंडेशन क कार्यालय मे अमेरिकी राजदूत सम्मान फाउंडेशन क अध्यक्ष इरफान आलम कए अमेरिका क राष्ट्रपति बराक ओबामा क मौजूदगी मे वॉशिंगटन मे होइवाला दू दिवसीय ‘उद्यमिता पर सम्मेलनÓ मे भाग लेबाक निमंत्रण देलथि।
ओ कहला जे एहि राज्य मे इरफान सन उद्यमी अछि, त निश्चित रूप स बिहार बदलि रहल अछि। ओ कहला जे हमरा बिहार मे पर्याप्त संभावना देखा रहल अछि। ओ कहला जे राज्य मे विकास का माहौल देखकर अमेरिका सेहो एहि ठाम अपना लेल संभावना ताकि रहल अछि।
नीतीश कए ओबामाक सनेस
ओबामा बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए अपन पुस्तक ड्रिम्स ऑफ माई फादर क प्रति सनेस मे पठौलथि। एहि पुस्तक पर हुनकर ऑटोग्राफ सेहो अछि। ओबामा नीतीश क लेल इ पुस्तक भारत मे अमरीका क राजदूत टिमोथी जे रोमर क हाथ पठौलथि अछि। ओ एहि पुस्तक क अलावा दूटा आओर पुस्तक पठेलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments