बिहार आबि रहल अछि पैघ कंपनी

पटना । लंबा अंतराल क बाद निजी क्षेत्र क पैघ कंपनी बिहार मे उद्योग लगेबा लेल लौट रहल अछि। एहि स खुश राज्य सरकार आब मोट निवेश क बाट ताकिरहल अछि। राज्य सरकार क कहब अछि जे एकरा लेल कंपनी क हर मुमकिन मदद कैल जा रहल अछि। बिहार औद्योगिकी भूमि विकास प्रधिकरण (बियाडा) क प्रबंध निदेशक अंशुलि आर्या कहलथि, हमरा आब औद्योगिक घराना स काफी प्रस्ताव भेट रहल अछि।
उद्योग विभाग क प्रधान सचिव आ औद्यगिक विकास आयुक्त रामेश्वर सिंह कहला जे, हम जे योजना बनेने छी, ओ कईटा राज्य स काफी बेहतर अछि। हम वैट मे 80 फीसदी क प्रतिपूर्ति दैत छी। असगर एहि मद मे बीतल साल 22 करोड़ क भुगतान भेल। एहि साल सेहो हम करीब 45 करोड़ क भुगतान करब। एहि लेल कंपनी हमारा दिस आबि रहल अछि। हालांकि, आब राज्य कए मोट निवेश क इंतजार अछि। राज्य निवेश प्रोत्साहन बोर्ड (एसआईपीबी) क दिस स एखन धरि कुल मिलाकए 30,475 करोड़ टकाक निवेश कए स्वीकृति भेट चुकल अछि, मुदा राज्य मे निवेश सिर्फ 317 करोड़ रुपये क भेल अछि।
एहि संबंध मे सिंह कहैत छथि, हां, जेतबा लोक निवेश क इच्छा जतेलाह, ओतबा एलाह नहि। हालांकि, निवेश क प्रक्रिया मे बीतल साल स तेजी आइल अछि। दरअसल, शुरुआत मे प्रक्रियात्मक दिक्कत छल।
ओ कहला, एखन एसआईपीबी क सहमति हासिल करि चुकल 43 इकाइ उत्पादन चालू करि देलक अछि। एहि स राज्य मे कुल मिलाकए 43 करोड़ क निवेश आयल अछि। ओतहि, 77 इकाइ अगिला 3 स 6 महीना क भीतर उत्पादन चालू करि देत, जाहि स सूबा मे 540 करोड़ क निवेश आउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments