बिहार अंतरराष्ट्रीय संग्रहालय देख अचंभित भेल दुनिया

3
30

Patna  Museum

पटना । इतिहास कए नब दलान भेट गेल । बेली रोड पर बनल बिहार अंतरराष्ट्रीय संग्रहालय कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लोकार्पण क देलथि । फिलहाल सिर्फ ओरिएंटेशन आ चिल्ड्रेन गैलरी लोक लेल उपलब्‍ध भेल अछि मुदा अगिला छह माह मे इ पूर्ण रूप स तैयार भ जाएत। 10 मे स आठ गैलरी क निर्माण चलि रहल अछि। लोकार्पण समारोह लेल बिहार म्यूजियम कए नब कनियां जेकां सजाउल गेल अछि। बेली रोड पर 13.5 एकड़ जमीन मे करीब 500 करोड़ क लागत स एकर निर्माण भ रहल अछि । एकर आर्किटेक्चर अंतरराष्ट्रीय स्तर क अछि, जाहि में काफी मात्रा में स्टील क इस्तेमाल कैल जा रहल अछि । बिहार सरकारक एहि मेगा प्रोजेक्ट कए रिकॉर्ड समय मे तैयार कैल गेल अछि। अक्टूबर 2013 स बिहार म्यूजियम क निर्माण शुरू कैल गेल छल । कला आ संस्कृति विभाग क प्रधान सचिव विवेक सिंह क कहब अछि जे करीब छह माह मे संग्रहालय अपन पूरा आकार पाबि लेत । एखन इ भोर साढ़े दस स सांझ साढ़े चारि बजे तक खुलल रहत व्यस्क कए 50 आ छात्र कए 25 टका क टिकट लागत।

गैलरी क विवरण

ओरिएंटेशन गैलरी :  एहि ठाम म्यूजियम मे प्रदर्शित धरोहर क झलक भेटत ।

चिल्ड्रेन गैलरी : एहि ठाम ऑडियो-वीडियों प्रेजेंटेशन क जरिए बच्चा लेल इतिहास आधारित कईटा रोचक खेल होएत। ‘खेल-खेल मे करो और सीखो’ क तर्ज पर एकर निर्माण कैल गेल अछि ।

सांस्कृतिक गैलरी : एहि ठाम बिहार क संस्कृति क खुशबू खींच लेत। बिहार मे रचल बसल संस्कृति क इंद्रधनुषी छटा आगंतुक कए लोक संस्कृति स रूबरू कराउत ।

क्षेत्रीय आर्ट गैलरी : एहि ठाम बिहार क विभिन्न लोक कला जेना मिथिला पेंटिंग, सुजनी, टिकुली आर्ट आ सिक्की आर्ट कए प्रदर्शित कैल जाएत।

डायस्पोरा गैलरी : एहि ठाम वैदिक काल स ल कए आइ धरिक महापुरुष क चित्र आ हुनकर परिचय लगाउल जाएत।

हिस्ट्री गैलरी : एहि ठाम तीन अलग-अलग गैलरी होएत। 6ठीं शताब्दी ईसा पूर्व स लकए 12वीं शताब्दी तक क विभिन्न काल आ संस्कृति क झलक भेटत ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

3 COMMENTS

Comments are closed.