बिहारी क मराठी प्रेम देखनुक अछि : पद्मा तलवलकर

पटना। मराठी शास्त्रीय संगीत मे पद्मश्री सम्मान स विभूषित पद्मा तलवलकर आइ बिहार क राजधानी पटना मे मराठी भजन गाबि कए खूब वाह वाही लूटलथि। ओ कलिथि जे बिहारीक मराठी प्रेम देखनुक अछि। बिहार मे सचमुच देश बसैत अछि। एक कात जतय मनसे मुंबई मे बाहरी कए एसबीआइ क परीक्षा मे शामिल करबाक विरोध करि रहल छल, ओतहि दोसर दिन पटना मे किछु लोक सुश्री तलवलकर स मराठी गीत गेबाक आग्रह करि रहल छल। जखन ओ पूछलथि जे अगर ओ हिंदीक बदला मे मराठी मे भजन गउतीह त एहि ठाम क अधिकतर श्रोता कए नीक लागत त एक स्वर मे आवाज आइज जे खूब नीक लागत। एहि कार्यक्रम मे भाजपा क वरिष्ठ नेता रविशंकर प्रसाद सेहो छलाह। ओ कहलथि जे बिहार क लोक मराठी भजन खूब सुनैत अछि आ अहां मराठी भजन गाउ। । सुश्री तलवलकर महाराष्ट्र क प्रसिद्ध धार्मिक स्थल पंढरपुर स्थित भगवान विठ्ठल मंदिर पर रचित भजन गेाबि ओहि ठाम मौजूद संगीत प्रेमी श्रोता कए प्रसंन्न करि देलीह। सुश्री तलवलकर कहलथि जे विगत किछु दिन स जारी मराठी बनाम गैरमराठी विवाद क बीच बिहार मे संपन्न इ शास्त्रीय संगीत क कार्यक्रम दूनू प्रदेशक संबंध कए आओर मजबूत बनेबा मे मदद देत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments