बिहारक हाथ होएत एकीकृत कमान क नेतृत्व

0
1
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली। देश मे नक्‍सल एकटा पैघ समस्‍या अछि आ एकरा स निपटबा लेल केंद्र सीधा कोनो कार्रवाई राज्‍य मे नहि क पाबि रहल अछि। संघीय व्‍यवस्‍था क तहत कानून आ वयवस्‍था राज्‍यक परिधि मे अबैत अछि, ताहि लेल केंद्र सरकार नौटा नक्‍सलग्रस्‍त राज्‍यक एकटा एकीकृत कमान क गठन केलक अछि जेकर नेतृत्व बिहार क मुख्‍यमंत्री कए भेट सकैत अछि। देश लेल ‘वस्तु एवं सेवा कर’ (जीएसटी) निर्धारण समिति क अध्‍यक्षता भेटलाक बाद इ दोसर महत्‍वपूर्ण जिम्‍मेदारी बिहार कए सौंपल जा रहल अछि।
जानकारी क अनुसार केंद्र सरकार चाहैत अछि जे बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नक्सली स निपटबा लेल गठित एहि एकीकृत कमान क नेतृत्व करथि। हुनकर नेतृत्‍व मे अगर इ कमान काज करत त नक्सली क अंतिम गढ़ सेहो ध्वस्त भ सकैत अछि।
सरकार क नक्सल विरोधी अभियान क जानकार सूत्र क कहब अछि जे आन राज्‍यक अपेक्षा बिहार में नक्सलीक हौसला पस्त भ चुकल अछि, ओ हताशा क स्थिति मे छथि। ज्ञात हुए जे पिछला सप्ताह नौ राज्‍यक मुख्य सचिव आ पुलिस महानिदेशक क भेल बैसार मे इ सर्वसम्‍म‍ति स राय बनल जे एहन कोनो कमानक नेतृत्‍व बिहार क मुख्‍यमंत्री करैत छथि त परिणाम सकारात्‍मक भ सकैत अछि। एहि लेल तीनटा राज्‍यक मुख्‍यमंत्री पर आओर विचार भेल, लेकिन आम राय बिहारक मुख्‍यमंत्री पर बनि सकल। आब देखबाक चाही जे बिहार क मुख्‍यमंत्री एहि प्रसताव कए स्‍वीकार करैत छथि बा नहि। अगर वो एहि प्रस्‍ताव कए स्‍वीकार क लैत छथि त केवल बिहार नहि बल्कि नक्‍सल विरोधी अभियान मे लागल नौटा राज्‍य के अधिकारी समेत केंद्र सरकार क पदाधिकारी हुनक नेतृत्‍व मे काज करताह।
एकीकृत कमान मे सुरक्षा अधिकारी क अलावा सामान्य प्रशासन क प्रतिनिधित्व करनिहार अधिकारी सेहो रहताह। इ कमान सावधानीपूर्वक सुनियोजित ढंग स नक्सल विरोधी अभियान चलाउत। केंद्र सरकार क एकटा वरिष्ठ अधिकारी क कहब अछि जे बिहार मे गया आब नक्सली क अंतिम गढ़ बचल अछि। ओ कहला जे यदि गया स नक्सली क सफाया भ जाए त बिहार सशस्त्र नक्सली स मुक्त भ सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page