बिहारक सडक पर उतरल वाल्‍बो

पटना। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम द्वारा राज्य क कईटा शहर लेल लक्जरी बोल्‍बो बस सडक पर उतरि गेल। पथ परिवहन मंत्री वृषण पटेल एहि बस कए झड़ी दिखा कए रवाना केलथि। ओ कहला जे एहि बस सबहक परिचालन पीपी माड पर कैल जा रहल अछि। एहि बस मे सब तरहक आधुनिक सुविधा उपलब्‍ध अछि आ यात्री पर आर्थिक बोझ कम रहए ताहि लेल राज्य सरकार एहि स क भाडा मे सब्सिडी सेहो द रहल अछि| ओ कहला जे पहिल चरण मे 14टा बस कए सडक पर आनल गेल अछि, मुदा जल्‍द एकर संख्‍या बढाउल जाएत। लो फ्लोर बसक सवाल पर श्री पटेल कहला जे बिहारक सडक आब ओहि तरहक बस जोकर भ गेल अछि आ बहुत जल्‍द पटन आ हाजीपुर क बीच लो एकर परिचालन शुरू कैल जा रहल अछि। परिवहन निगम क घाटा क संबंध मे परिवहन मत्री कहला जे एहि मे लगातार सुधार भ रहल अछि आ जल्‍द निगम 500 बस सडक पर उतारत जाहि स राज्‍य मे बस क कमी दूर भ जाएत आ यात्रा सुगम भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments