बिहारक विधायक कए भेटल अमेरिका एबाक न्योत

पटना। विधानमंडलक बैठक मे भाग लेबाक कारण स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार त अमेरिका नहि जा सकलाह, मुदा उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कए अमेरिका भ्रमणक योग बनि रहल अछि। बिहार फाउंडेशन क कैलिफोर्निया चौप्टर क अध्यक्ष रवि वर्मा फाउंडेशन क अध्यक्ष आ राज्य क उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कए पत्र लिखिकए बिहार विधानमंडल क पांचटा सदस्य कए कैलिफोर्निया क महत्वपूर्ण कृषि आ शैक्षणिक परियोजना कए अध्ययन क लेल अमेरिका एबाक न्योत पठेलथि अछि। विधायक क कैलिफोर्निया भ्रमण क व्यय बिहार फाउंडेशन क कैलिफोर्निया चौप्टर वहन करत। वर्मा लिखलाह अछि जे भ्रमण क उद्देश्य स दू सप्ताह क लेल अमेरिका यात्रा पर आमंत्रित करबाक मकसद इ सेहो अछि जे बिहार मे चलि रहल कार्यक्रम स कैलिफोर्निया क लोग अवगत भ सकथि संगहि बिहार क लेल अनुभव क उपयोग भ सकए। एहि साल जून-जुलाई क महीना मे एबाक आमंत्रण स्वीकार करि लेल गेल अछि। अमेरिका मे बसल भारतीय मे बिहार क प्रति काफी उत्सुकता अछि। बिहार मे विशेषकर कृषि आधारित उद्योग धंधा क विकास क प्रति अमेरिका मे बसल कईटा बिहारी अपन दिलचस्पी सेहो देखा रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments