बिहारक मुख्यमंत्री कए एकटा आओर पुरस्कार

जमशेदपुर। बिहारक मुख्यमंत्री कए एकटा आओर पैघ पुरस्कार देल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए देश क सर्वश्रेष्ठ निजी बिजनेस स्कूल जेवियर लेबर रिलेशंस इंस्टीट्यूट (एक्सएलआरआइ) सर जहांगीर घांदी मेडल स सम्मानित करत। हमरा सब लेल इ गौरवक विषय अछि जे इ पुरस्कार पहिल बेर कोनो बिहारी ग्रहण करत। 26 मार्च कए संस्थान क 55म दीक्षांत समारोह क अवसर पर बिहार क मुख्यमंत्री कए इ सम्मान देल जाएत। एक्सएलआरआइ जमशेदपुर क दिस स जहांगीर घांदी मेडल फॉर इंडस्ट्रीयल एंड सोशल पीस बिहार क मुख्यमंत्री कए देबाक घोषणा एक प्रकार स आर्थिक आ सामजिक जगत मे बिहारक मजबूत होइत हिस्सेदारीक प्रतीक छी। नीतीश कुमार स पहिने इ सम्मान बंगाल क पूर्व मुख्यमंत्री ज्योति बसु कए देल जा चुकल अछि। ओना इ सम्मान टाटा ग्रुप क चेयरमैन रतन एन टाटा समेत जेआरडी टाटा सरीखे दिग्गज कए देल जाइत रहल अछि। एक्सएलआरआइ द्वारा सब साल इ सम्मान एहन व्यक्तित्व कए देल जाइत अछि जेकर योगदान औद्योगिक विकास क संग-संग सामाजिक शांति क क्षेत्र मे उल्लेखनीय रहैत अछि। इ सम्मान एहि बेर बिहार क मुख्यमंत्री कए एहि लेल देल जा रहल अछि किया जे हुनकर नेतृत्व मे बीमार सन पिछड़ल राज्य बिहार विकास क नव मॉडल प्रस्तुत केलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments