बिहारक बिजलीवाला गाम

बेगुसराय/पटना। टीवी पर एकटा विज्ञापन अबैत अछि- बिजलीवाला घर। मक्रोटेक कंपनीक इ विज्ञापन बिहारक एकटा गाम लेल सटीक लगैत अछि। बेगूसराय जिला क गौरा गाम। अनहार स रोशनीक दिस विदा भ चुकल बिहारक एहि गाम कए बिजलीवाला गाम कहल जा सकैत अछि। एहि गाम मे लालटेन युग कए खत्म हेबाक एलान भ चुकल अछि। किछु दिन पहिने तक गौरा सेहो बिहारक आन गाम जेकां बिजली क किल्लत स परेशान छल। मुदा दू-तीन साल पहिने शुरु कैल गेल एकटा प्रयास एहि गामक परिचय बदलि देलक। आइ ओ शान स कहैत अछि जे दिल्ली-मुंबई जइसन महानगर भांति एहि गाम क सड़क पर सेहो स्ट्रीट लाइट जडैत अछि। एक बेर जखन गाम मे सरकारी प्रयास स स्ट्रीट लाइट क योजना शुरु भेल त  बिजली क किल्लत स परेशान लोक अपन-अपन जरूरत क हिसाब स घर क छत पर एकटा सोलर पैनल लगा लेलथि आ आब ओ एलईडी या सीएफएल बल्ब स अपन घर कए रोशन केने छथि।
आइ एहि गामक लोक जखन दोसर गाम जाइत छथि त अपन गामक परिचय बिजलीवाला गाम क रूप मे दैत छथि। करीब 20,000 घर वाला एहि गाम मे आधा स बेसी लोक सोलर पैनल क जरिए बिजली क आनंद ल रहल अछि आ लालटेन बीतल जमाना क गप भ चुकल अछि।
बिहार मे बिहार अक्षय ऊर्जा विकास एजेंसी (ब्रेडा) राज्य मे अक्षय ऊर्जा क उपयोग बढे़बा लेल प्रयास करि रहल अछि। ब्रेडा क निदेशक डीएन झा क अनुसार एखन धरि ब्रेडा अपन संसाधन आ सरकार क मदद स बिहार मे करीब 30,000 बायोगैस प्लांट लगा चुकल अछि। एकर अलावा, लोक मे ईंधन क बचत क आदत डालबा लेल एजेंसी  छह लाख स बेसी आधुनिक चूल्हा बनेलक अछि। करीब 35,000 सोलर लालटेन, 2,000 होम लाइट, 500 स बेसी स्ट्रीट लाइट, 500 सोलर कुकर आ एक लाख स बेसी सोलर वाटर हीटर क जरिए ब्रेडा राज्य क लोक मे अक्षय ऊर्जा क इस्तेमाल कए प्रोत्साहन देबा मे जुटल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments