बिहारक तुर्की मे बनत बीएसएफ लेल आवासीय क्वार्टर

मुजफ्फरपुर। कुढ़नी प्रखंड क तुर्की मे 85 एकड़ जमीन पर बोर्डर सेक्यूरिटी फोर्स (बीएसएफ) आवासीय क्वार्टर बनाउल जाएत। बीएसएफ क एकटा अधिकारी एहि संबंध मे एसडीओ पश्चिमी डा. कुंदन कुमार स भेंट करि एहि संबंध मे विस्तृत चर्चा केलथि। आधिकारिक सूत्रक अनुसार बीएसएफ सुदूर सीमाई क्षेत्र मे तैनात अधिकारी आ जवान क परिजन लेल आवास बनेबाक योजना बनेने अछि। एहि मे करीब एक हजार परिवार क रहबा क व्यवस्था कैल गेल अछि। प्रस्‍ताबित परिसर मे स्वास्थ्य, शिक्षा सहित अन्य सुविधा क व्यवस्था कैल जाएत। बीएसएफ क जल्द स जल्द भूमि अधिग्रहण क प्रक्रिया पूरा करबाक योजना अछि। तीन-चारि मास स उपयुक्त जमीन तकबाक काज भ रहल छल। पहिने बीएसएफ क डीआईजी पूर्वी आ पश्चिमी अनुमंडल क्षेत्र क दौरा एसडीओ पश्चिमी क संग करि चुकल छथि। कईटा जगह देखलाक बाद बीएसएफ दिस स तुर्की क्षेत्र कए अधिकारी आ जवान क परिजन क आवासन लेल उपयुक्त पाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments