बिहारक अनहार दूर करबा लेल कवायद भेल तेज

पटना। बिजली क भारी किल्लत स जूझि रहल बिहार कए जल्द राहत भेटत। एनटीपीसी स जुड़ल सूत्र क समाद अछि जे कंपनी बिहार मे नव बिजली घर कए स्थापित करबा लेल तैयार अछि। एकरा लेल कंपनी राज्य सरकार क संग गप सेहो केलक अछि। सूत्रक मानी त पहिने स चलि रहल परियोजना पर सेहो काज तेजी स आगू बढेबाक दावा कैल जा रहल अछि।
कंपनी क उच्च पदस्थ सूत्र समाद अछि जे एनटीपीसी आब बिहार मे नव बिजलीघर क निर्माण क लेल इच्छुक अछि। बिहार क भगौलिक स्थिति काफी नीक रहल अछि। एकर पड़ोस मे कोयला क भंडार झारखंड अछि। एहि कारण स एहि ठाम कोयला अनबा मे आसानी अछि। संगहि बीतल किछु साल में बिहार मे सड़क क निर्माण सेहो काफी तेजी स भेल अछि। एहि स एहि ठाम आब परिवहन सेहो आसान भ गेल अछि। राज्यक माहौल सेहो बदलल अछि एहि लेल कंपनी एहि ठाम पैघ पैमाना पर निवेश करए चाहैत अछि। कंपनी किछु प्रस्ताव पर राज्य सरकार स गप सेहो केलक अछि, मुदा एखन को शुरुआती स्तर पर अछि। सूत्र क कहब अछि जे एहि बाबत एनटीपीसी क सीएमडी अरूप कुमार चौधरी आ राज्य सरकार क मुख्य सचिव अनूप मुखर्जी क बीच लंबा गप भेल अछि। चौधरी बीतल माह क 22 तारीख कए बिहार मे एनटीपीसी क संयंत्र क दौरा करबा लेल आयल छलाह। अपन दौराक दौरान ओ साफ तौर पर कहने छलाह- हम जानैत छी जे बिहार मे बिजली क काफी किल्लत अछि। एहि लेल हम एहि ठाम नव संयंत्र क निर्माण पर सेहो विचार करि रहल छी। नबीनगर मे हम एखन दूटा परियोजना पर काज करि रहल छी। एहि मे स एकटा क निर्माण बिहार सरकार क संग मिलकए चलि रहल अछि, जखकि दोसर पर हम रेलवे क संग मिलकए काज कए रहल छी। ओ कहला जे बाढ थर्मल सेहो 2012 तक चालू भ जाएत। कांटी आ बरौनीक काज तेजी स भ रहल अछि। दू सालक क भीतर बिहार मे चलि रहल परियोजना स बिजलीक उत्पादक शुरू भ जेबाक चाही, जाहि स बहुत हद तक बिहार स अनहार दूर भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments