बिहटा मे बनत बिहारक पहिल आइटी टावर

1
18
esamaad maithili newspaper

पटना । बिहार में आइटी सेक्टर लेल बहुत संभावना अछि। एहन मे सरकार सेहो एहि सेक्टर क विकास लेल गंभीर देखा रहल अछि। बिहार सरकार बिहटा मे वल्र्ड क्लास आइटी टावर बनेबाक घोषणा केलक अछि, जाहि मे करीब सौटा कंपनी लेल जगह बनाउल जायत। एहि टावर कए बनबा मे करीब पांच वर्षक समय लागत। ता धरि पटना मे अस्थायी व्यवस्थाक तहत डाक बंगाला पर जगह आवंटित कैल जा रहल अछि।

उल्लेखनीय अछि जे नीतीशक सात निश्चिय मे एकटा एहि सेक्टर स सेहो संबंध रखैत अछि, एहन मे सरकार बिहार मे एकर विकास लेल ठोस निर्णय लेलक अछि। सूचना एंव प्रावैधिकी विभाग आइटी सेक्टर क उद्यमी कए बिहार अनबा लेल प्रयास शुरु क देलक अछि। एकरा लेल डाक बंगला पर स्थित विद्यालय निरीक्षक कार्यालयक जमीन शिक्षा विभाग स सूचना एंव प्रावैधिकी विभाग कए हस्तानांतरण कैल जा चुकल अछि। किछु तकनीकी खानापूर्तिक बाद एहि पर टावर निर्माणक काज शुरु भ जायत।

Comments

comments

1 COMMENT

Comments are closed.