बिहटा मे खुलत सिविल डिफेंस क प्रशिक्षण केन्द्र

पटना। बिहटा मे सिविल डिफेंस क प्रशिक्षण केन्द्र होमगार्ड कैम्पस मे खुलत। एकरा लेल केन्द्र सरकार दू करोड़ टका मंजूर केलक अछि। भूमि स्थानांतरण क कार्य पूरा होइत भवन निर्माण क काज शुरू भ जाएत। सिविल डिफेंस क डीजी जेके खन्ना इ जानकारी देलथि अछि। खन्ना अग्रणी सहकारी संस्था कृषक भारती कोआपरेटिव लिमिटेड (कृभको) द्वारा सिविल डिफेंस क जवान क लेल चार सौ वर्दी क सेट सौंपबा लेल आयोजित एकटा कार्यक्रम मे बाजि रहल छलाह। एहि मौका पर कृभको क प्रबंध निदेशक बीडी सिन्हा सेहो उपस्थित छलाह। खन्ना कहला जे कृभको क सहयोग स वर्दी भेटल अछि। पहिल बेर सिविल डिफेंस कए वर्दी भेटल अछि। एहि स कृभकों क सेहो प्रचार होएत।
खन्ना कहला जे पटना मे 150 सिविल डिफेंस क जवान कए प्रशिक्षण दकए तैयार कैल जा चुकल अछि। इ मौका पड़ला पर पुलिस क सहयोग करताह। विधि व्यवस्था आ यातायात सुधार मे लेल सेहो तैनात कैल जा सकैत छथि। हिनकर मानदेय सेहो बढ़ेबाक विचार अछि। सिविल डिफेंस राजधानी मे सायरन सिस्टम लागू करैे जा रहल अछि। पुरान 26टा सायरन मे स दूटा चालू हालत मे अछि। उच्च तकनीक स परिपूर्ण सायरन क खरीद कैल जा रहल अछि। एकर माध्यम स संदेश क प्रसारण भ सकत। सिविल डिफेंस मात्र चार शहर मे काज करि रहल अछि। प्रदेश क सबटा जिला मे एकर विस्तारक योजना अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments