बिना चालक विदेश चल गेल इंजन

1
8
esamaad maithili newspaper

मधुबनी। जयनगर-जनकपुर रेलखंड पर सोमदिन अपराह्न 3.30 बजे पैघ दुर्घटना होइत-होइत बचल। जयनगर सिथत नेपाल रेलवे क स्टेशन स एकटा इंजन बिना ड्राइवर कए विदा भ गेल, जे करीब 27 किलोमीटर क दूरी 25 मिनट मे तय क जनकपुर रेलवे स्टेशन (नेपाल) पहुंच गेल। शुक्र रहल जे इंजन मे डीजल खत्‍म भ गेल आ इंजन पटरीक अंतिम छोर पर ठहरि गेल। एहि दौरान पूरा रेल खंड पर अफरातफरी क माहौल रहल।
जयनगर स्थित नेपाल रेलवे स्टेशन क अधीक्षक खर्ग नारायण चौधरी कहला अछि जे इंजन कए बोगी स जोडाबाक काज चलि रहल छल, तखने ओ स्टार्ट भ विदा भ गेल। तखन ड्राइवर हाथ धोबा लेल इंजन स नीचा उतरल छलाह, एहि बीच कोनो तकनीकी गड़बड़ी क कारण इंजन विदा भ गेल। ओकरा रोकबाक बहुत प्रयास कैल गेल, मुदा सफलता नहि भेटल। घटना कए देखैत रेलखंड पर पूरा सावधानी बरतल गेल।
आखिरकार जनकपुर रेलवे स्टेशन पर पहुंचकए इंजन क डीजल खत्‍म भ गेल आ ओ अपने आप बंद भ गेल। तखन जाकए रेल अधिकारी राहत क सांस लेलथि। चौधरी कहला जे मामला क जांच शुरू भ गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

Comments are closed.