बिजली बिहार क सबस पैघ जरूरत : नीतीश

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिजली कए बिहार क सबस पैघ जरूरत कहैत कहला जे एकरा लेल बिहार केन्द्र पर निर्भर अछि। आद्री द्वारा आयोजित एकटा समारोह मे भाग लैत नीतीश कहला जे बिहार कए 1600 मेगावाट बिजल क जरूरत अछि, जखन कि एखन मात्र नौ सौ मेगावाट बिजली भेट रहल अछि। नीतीश कहला जे बिहार एहि मे स नेपाल, रेलवे आ रक्षा प्रतिष्ठान कए विद्युत आपूर्ति करब अनिवार्य अछि। तखन राज्य लेल मात्र मात्र सात सौ स साढ़े सात सौ मेगावाट बिजली बचैत अछि। ओ कहला जे बिहार मे निजी आ सार्वजनिक दूनू सेक्टर मे पावर प्लान्ट लगाउल जा सकैत अछि, मुदा कोल लिंकेज क पैघ समस्या अछि। नीतीश कहला जे एकर अलावा गंगा बेसिन स थर्मल पावर प्लान्ट लेल जल क इस्तेमाल पर रोक लगा देल गेल अछि, जखन कि बिहार मे गंगा क प्रवेश क समय चार सौ क्यूसेक पाइन क बहाव रहैत अछि आ बिहार छोड़ैत काल डिस्चार्ज बढि़कए पन्द्रह सौ क्यूसेक भ जाइत अछि।
नीतीश बिहार मे चीनी मिल क माध्यम स एथनाल क संग-संग बिजली उत्पादन मे भ रहल कठिनाई क चर्चा करैत कहला जे एहि माध्यम स दू हजार मेगावाट बिजली क उत्पादन भ सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments