बिगबी अउताह बिहार, नीतीश संग देखताह आरक्षण

मुंबई। बॉलीवुड क मेगास्टार अमिताभ बच्चन बिहार आबि रहल छथि। हुनकर बिहार एबाक कार्यक्रम कई बेर बनल मुदा एहि बेर ओ अपन प्रशंसक कए नाखुश नहि करताह। बिगबी क मित्र का फिल्‍म पत्रकार सुभाष के झा क अनुसार अमिताभ बच्चन अपने पैघ प्रशंसक आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग पटना मे आरक्षण देखताह। नीतीश कुमार सेहो एहि क्षणक बाट ताकि रहल छथि। एहि फिल्म क निर्माता-निर्देशक प्रकाश झा आरक्षण कए 12 अगस्‍त कए प्रदर्शित कए रहल छथि। झा बिहारक छथि आ मुख्यमंत्री नीतीश क मित्र छथि। एहि संबंध मे प्रकाश झा कहला अछि जे मुख्यमंत्री पटना स्थित हुनकर शॉपिंग मॉल मे खुलल एकटा नव रेस्टोरेंट कए देखबा लेल आयल छलाह। हमर प्रतिनिधि जखन हुनका आरक्षण क विशेष शो देखबा लेल निमंत्रण देलथि त ओ स्पष्ट करि देलथि जे ओ फिल्म तखने देखताह जखन ओ आ अमिताभ दूनू एकसंग देखी।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments